BY Dhiraj Jha (Maithili)
आजक विज्ञानक कालखंड मे विज्ञानक आविष्कारक सहायता सं इक्किसौ सताब्दी मेे मनुष्य आकाश और शिखर छु रहल छी। भूतकाल मे असंभव और काल्पनिक वर्तमंकालखंड मेे वास्तविकता में परितन भै चुकल अछी। विज्ञानक चमत्कार तथा उपलब्धि के मद्दयानाजार केल जाई त भविस्यकाल मेे गजब होतई। बिना पंख के उड़नई, पनिमे चलनई जेहन कठिन तथा अती आश्चर्य कार्य संभव होवे के सय प्रतिशत संभावना देख सकैत छी।
ई प्रसंग स आधारित रहल बदलाव के आधार तथा इक्कीसौ शताब्दी के वैज्ञानिक बीच चर्चा- परिचर्चा के विषय रहल “कवांतम टेलीपोर्टेशन”। मानव जीवन के एक नया तीव्र मोड़ प्रदान करत वैज्ञानिक सब के आशा छी। परिभाषिक रूपमे “कवांतम टेलीपोर्टेशन” के चमत्कार स खुलास्त रूप में तुलना करल जा सकैया। कवांतम मतलब सूक्ष्म और टेलीपोर्टेशन मतलब एक ठाम स दोसर अन्य ठाम मे बिना समय के यात्रा प्रविधि के संकेत करैत अछि। सामान्य भाषा में ई यातायात के अति प्रभावशाली माध्यम छि। अन्य यातायात साधन और टेलीपोर्टेशन बीच आकाश पाताल के फरक रहल अछी। अन्य सवारी अर्थात् यातायात माध्यम भौतिक शास्त्र के क्लासिकल मैकेनिक्स पर आधारित रहैत अछी परन्तु टेलीपोर्टेशन भौतिक शास्त्र के अति जटिल अंश क्वांटम फिजिक्स पर आधारित अछी। ऊना यातायात माध्यम मे समय बर्बाद होयत अछी परन्तु “कवांतम टेलीपोर्टेशन” में बिना समय में यात्रा होयात अछी।
“कवांतम टेलीपोर्टेशन” क्वांटम फिजिक्स के अभिन्न सिद्धांत क्वांटम एंतांगलमेंट पर आधारित रहत अछी।क्वांटम एंतांगलमेंट के अनुसार यदि दुटा भिन्न धुमचक्र रहल कण के नजिक लेल जाय त दुनो कण के बीच एक रहस्यमय संपर्क के स्थापना होयात अछी। एक बेर संपर्क स्थापना मेकल बाद दुन्नो कण के बीच में हजारो लाखों दूरी बावजूद संपर्क कायम रहैत अछी। ई सिद्धांत के सहायता पर कवांतम टेलीपोर्टेशन के कल्पना वैज्ञानिक चार्ल्स बैनेत केलैन। आजुक समय मेे ई सिद्धांत के प्रयोगशाला में वैज्ञानिक सब मिल क सिद्ध अर्थात् प्रमाणित क चूकल अछी। वर्तमान में चीन और अन्य देश सभ ई परीक्षण में अधिकांश रूप मेे सक्षम रही सकल अछी।
क्वांटम विज्ञान के अविश्वसनीय आविष्कारक खोज और अनुसंधान के दैनिक जीवन चक्र मेे उतरनाई विज्ञान के लेल एक किसिम के चुनौती भेे रहल अछी।कवांतम टेलीपोर्टेशन मानव जीवन में उथल पुथल विकाश त जरूर प्रदान करत परन्तु इकर गलत प्रयोग के नतीजा भयानक भ सकैत अछी। मनुष्य के लेल टेलीपोर्टेशन के सपना अकांक्षोक आशीर्वाद के रूप में देख क इसर प्रयोग स सकारात्मक परिवर्तन लावेमे संसार के जरूर सहयोग मिल सकैत अछी। स्वास्थ्य, शिक्षा, आवगमन, यातायात, व्यापार लगायत अन्य क्षेत्र में तीव्रता पहुचाबके उद्देश्य कवांतम टेलीपोर्टेशन के माध्यम से बिल्कुल पूरा कर जा सकैया।
कवांतम टेलीपोर्टेशन मानव जीवन में आएत की नई त सिर्फ समय बता सकैत अछी। हाल, विज्ञान पर विश्वास करनाई सिवाय कोनो दोसर रास्ता नई देख स्कैत अछी। अनंतः विज्ञान युग मेे कवांतम टेलीपोर्टेशन जेहन आश्चर्य आविष्कार के आशा करनाई कोनो गलत नाई अछी। विज्ञान युग बदलाव के युग शायद ईहे कारण स कहै छै।
You must be logged in to post a comment.